गौशाला । महोत्तरीक गौशाला नगरपालिका वडा नंं . ६ मे रहल श्री मावि भेडियाही फुलकाहाके विवाद समाधान भेल अछि । सोमदिन ईलाका प्रहरी कार्यालय गौशालामे बैसल दुनु पक्षीय वार्ता मार्फत उक्त विद्यालयक विवाद समाधान भेल अछि ।
नेपाल शिक्षक महासंघ गौशालाक नगरअध्यक्ष नकुल उप्रेती देने जानकारी अनुसार प्रधानाध्यापक उपर हातपात करैयावाला स्थानिय रामबाबु यादव विद्यालयके खातामे ५१ हजार रकम जरिवाना तिरपरवाक शर्तमे सहमति भेल अछि ।
विद्यालय सेहो समाजक एक अंग भ क संचालन कर परला स समाजिक निर्णयमे अपने सभ सहमति जनौने अध्यक्ष उप्रेती जानकारी देलेन अछि ।
हातपात करयवाला यादव सभगोटेके सामुन्ने माफी मागलाकबाद विवाद समाधान भेल वडाअध्यक्ष नथुनी राउत बतौलेन अछि । आब अभिभावकके सहयोगमे दिवा खाजा नियमित रुपमे विद्यालयमे संचालनमे रहत वडाअध्यक्ष राउत प्रतिक्रिया देलेन अछि ।
वितलहा फागुन १९ गते विद्यालयमे संचालित दिवाखाजाके समिती स अपन कन्याक नाम हटौने कहैत स्थानिय रामबाबु यादव आ हुनकर पुत्र मनोहर यादव विद्यालयके समयमे उक्त विद्यालयक प्रधानाध्यापक शैलेन्द्र ठाकुर उपर हातपात केने रहैक ।
स्मरण रहे रामबाबु यादव वडा नंं ६ क वडासदस्य शान्तिदेवी यादवके श्रीमान अछि ।