
गौशाला । महोत्तरीक गौशालामे कोरोना भाईरस विरुद्धक भ्याक्सिन लगवाक कार्यक्रम अन्र्तगत ४ सय ५० गोटे वृद्धवृद्धासभक सुईया लगाओलगेल अछि ।
नगरपालिकाभैरमे रहल ६ टा स्वास्थ्य चौकी आ १ टा प्राथामिक स्वास्थ्य उपचार केन्द्रमे ७ टा स्वास्थ्य संस्थामे कक उक्त संख्याके वृद्धबृद्धासभके कोरोना भाईरस विरुद्धक सुई लगाओलगेल अछि ।
गौशाला नगरपालिकाक नगरप्रवक्ता भोजवहादुर दर्लामीक अनुसार ६५ बर्ष उमेर स उपरका हरेक वृद्धवृद्धासभके नजदिक स्वास्थ्य संस्थामे सुईया लगाओलगेल अछि । जय अन्र्तगत प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रमे ६० के लगाओलगेल अछि । तहिना कक स्वास्थ्य चौकी रामनगरमे ६०, निगौलमे १२०, वेगलाछीमे ३०, फुलकाहामे ६०, भरतपुरमे ८० र लक्ष्मिनियाँमे ४० गोटेके सुईया लगौने नगरपालिकाक स्वास्थ्य संयोजक रामप्रगास महतो बतौने छथि ।
नेपाल सरकारक दोसर चरणक खोप अभियान अन्र्तगत अगामी फागुन २८ गतेधैरके लेल स्वास्थ्य संस्थामे कोरोना भाईरस विरुद्धक सुईया लगाओल जायत प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र गौशालाक ईन्चार्ज डा रविन्द्र कुमार कुशवाहा जानकारी देलेन अछि ।
उक्त सुईया लेवाक लेल अपन अपन पहिचानपत्र ल क लगके खोपकेन्द्रमे सम्पर्क करवाक लेल डा कुशवाहा सभगोटेके आग्रह कैयलक अछि ।
नेपाल सरकारक स्वास्थ्य मन्त्रालय अय नगरपालिकाक लेले ८ हजार ६ सय १८ टा सुईया निःशुल्क रुपमे उपलब्ध करौलक अछि ।
प्रतिक्रिया